UPSC Civil Services (Main) Examination 2026 — Maithili Literature Paper I: Question Paper | Plutus IAS

UPSC Civil Services (Main) Examination 2026 — Maithili Literature Paper I: Question Paper | Plutus IAS

The questions below are from Maithili Literature Paper I of UPSC Civil Services (Main) Examination 2026 (held 2026-08-30) — the actual paper, which is public government content. This page carries the questions for reference and revision; model answers for this paper are not published here.

Official paper (PDF): upsc.gov.in.

  1. सभ प्रश्नक उत्तर दिअ : निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे) : 10×5=50 – (a) मैथिली आ असमीमे शब्द आ क्रियाक अनुप्रयोगमे समानता 10 – (b) 'फोर्मेशन ऑफ मैथिली लैंग्युएज' 10 – (c) मैथिली क्रियापदक वैशिष्ट्य 10 – (d) डाक वचनावलीक प्राचीनता आ भाषिक स्वरूप 10 – (e) शब्द आ क्रियापदक व्यवहारक परिप्रेक्ष्यमे मानक मैथिली आ दक्षिणी मानक मैथिलीमे समानता 10
  2. सभ प्रश्नक उत्तर दिअ : – (a) भारोपीय भाषा-परिवारक वर्गीकरण करैत एकर विशेषताकेँ रेखांकित करू। 20 – (b) ग्रिअर्सन द्वारा कएल गेल मैथिलीक औपभाषिक विभाजनक समकालीन औचित्यक समीक्षा करू। 15 – (c) "भाषाक मानकीकरण ओकर मानक स्वरूपसँ प्रचलित लोकभाषाक दूरी बढ़बैत अछि।" मैथिलीक संबंधमे एहि कथनक समीक्षा करू। 15
  3. सभ प्रश्नक उत्तर दिअ : – (a) 'कीर्तिलता'क आधार पर विद्यापतिक भाषिक वैशिष्ट्यक मूल्यांकन करू। 20 – (b) संस्कृत, उत्तर भारतीय आधुनिक भाषाक जननी थिक – मैथिली भाषाक आधार पर प्रमाणित करू। 15 – (c) मैथिली भाषाक काल विभाजन करैत आदिकालीन साहित्यिक सामग्रीक महत्वकेँ रेखांकित करू। 15
  4. सभ प्रश्नक उत्तर दिअ : – (a) भाषाक आकृतिमूलक वर्गीकरणक आधारक समीक्षा करू। 20 – (b) तिरहुता लिपिक महत्व आ तकर उपयोगिता पर अपन विचार प्रस्तुत करू। 15 – (c) मैथिली भाषाक विकासमे ग्रिअर्सनक अवदानकेँ रेखांकित करू। 15
  5. सभ प्रश्नक उत्तर दिअ : निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे) : 10×5=50 – (a) प्रारंभिक मैथिली साहित्य 10 – (b) लोक नाट्य 'झिझिया' 10 – (c) मैथिली संस्मरण साहित्य 10 – (d) मनबोधक 'कृष्णजन्म' 10 – (e) कीर्तनियाँ नाटक 10
  6. सभ प्रश्नक उत्तर दिअ : – (a) आधुनिक मैथिली कथा साहित्यक प्रवृत्तिकें रेखांकित करू। 20 – (b) प्राक् विद्यापतिकालीन साहित्यक वैशिष्ट्यसँ अवगत कराउ। 15 – (c) विद्यापति पदावलीमे स्त्री-चेतना विषयक पदक उल्लेख करैत ताहि पर विचार करू। 15
  7. सभ प्रश्नक उत्तर दिअ : – (a) विद्यापतिक रचनाक असमी भाषा ओ साहित्यपर पड़ल प्रभावक समीक्षा करू। 20 – (b) 'कीर्तनियाँ नाटक' आ अंकिया नाटकमे अन्तरकें रेखांकित करू। 15 – (c) 'भामती' उपन्यासक वैशिष्ट्य पर विचार करू। 15
  8. सभ प्रश्नक उत्तर दिअ : – (a) उमापतिक 'पारिजात-हरण' नाटकमे नाट्य तत्त्वक अपेक्षाकृत गीत तत्त्वक प्रमुखता छैक – प्रतिपादित करू। 20 – (b) आधुनिक मैथिली साहित्यमे मुक्तक काव्यक विकासक रूप-रेखा प्रस्तुत करू। 15 – (c) सुधांशु शेखर चौधरीक नाट्य कृतिक वैशिष्ट्यक उल्लेख करू। 15

Questions reproduced from the official paper for study purposes; verify on the exam-conducting body’s official website.

No Comments

Post A Comment