11 Sep UPSC Civil Services (Main) Examination 2026 — Maithili (Compulsory): Question Paper | Plutus IAS
The questions below are from Maithili (Compulsory) of UPSC Civil Services (Main) Examination 2026 (held 2026-08-29) — the actual paper, which is public government content. This page carries the questions for reference and revision; model answers for this paper are not published here.
Official paper (PDF): upsc.gov.in.
- निम्नलिखितमे सँ कोनो एक विषय पर 600 (छओ सय) शब्दमे निबन्ध लिखू : (a) भारतबोधक अवधारणा आ अपन भविष्य (b) डिजिटल युगमे नागरिकक कर्तव्य (c) भारतमे अंतरिक्ष अनुसंधान आ मंगलयान (d) स्वास्थ्य सेवाक उपलब्धता आ गुणवत्ता
- निम्नलिखित गद्यांशकेँ ध्यानपूर्वक पढ़ि ओकर आधार पर नीचाँ देल गेल प्रश्नक उत्तर स्पष्ट, सही आ संक्षेपमे लिखू : 12×5=60 दुःखक वर्गमे जे स्थान भयक अछि, वैह स्थान आनन्द-वर्गमे उत्साहक अछि। जाहि कर्ममे कोनो प्रकारक कष्ट वा हानि सहबाक साहस अपेक्षित होइत अछि, ओहि सभक प्रति उत्कण्ठापूर्ण आनन्द उत्साहक अन्तर्गत लेल जाइत अछि। कष्ट वा हानिक भेदक अनुसार उत्साहक भेद भऽ जाइत अछि। साहित्य-मीमांसक एहि दृष्टिसँ युद्धवीर, दानवीर, दयावीर, आदिक भेद कयने छथि। एहिमे सबसँ प्राचीन आ प्रधान युद्ध वीरता अछि, जाहिमे आघात, पीड़ा आ मृत्युक परवाह नहि रहैछ। एहि प्रकारक वीरताक प्रयोजन अत्यन्त प्राचीन कालसँ चल आबि रहल अछि, जाहिमे साहस आ प्रयत्न दुनू चरम उत्कर्ष पर पहुँचैत अछि। मात्र कष्ट वा पीड़ा सहन करबाक साहसमे, उत्साहक स्वरूप स्फुरित नहि होइछ। ओहि संग आनन्दपूर्ण प्रयत्न वा ओकर उत्कण्ठाक योग सेहो चाही। बिना विहोश भेल पैघ गुड़ वा घावकेँ चिरेबाक लेल तैयार होयब साहस कहल जायतु उत्साह नहि। एहि प्रकारें चुपचाप, बिना हाथ-पैर हिलेने, घोर प्रहार सहन करबाक लेल तैयार रहब साहस आ कठिन-सँ-कठिन प्रहार सहि कऽ स्थान सँ नहि हटब धीरता कहल जायत। एहन साहस आ धीरताकेँ उत्साहक अन्तर्गत तखने आनि सकैत छी, जखन साहसी वा धीर ओहि काजकेँ आनन्दक संग करैत चल जायत, जाहि कारणें ओकर एतेक प्रहार सहन करऽ पड़ैत छै। सारांश ई जे आनन्दपूर्ण प्रयत्न वा ओकर उत्कण्ठामे उत्साहक दर्शन होइत छै, मात्र कष्ट सहबाक निश्चेष्ट साहसमे नहि। धृति आ साहस दुनूक उत्साहक बीच संचरण होइत अछि। दानवीरक अर्थ-त्यागक साहस अर्थात् ओकरामे होइबला कष्ट वा कठिनता केँ सहन करबाक क्षमता अन्तर्हित रहैत अछि। दानवीरता तखने कहल जायत, जखन दानक कारण दानिकेँ अपन जीवन-निर्वाहमे कोनो प्रकारक कष्ट वा कठिनाइ देखाइ देत। एहि कष्ट वा कठिनाइक मात्रा वा सम्भावना जतेक बेसी होयत, दानवीरता ओतेक ऊँच बूझल जायत। किंतु, एहि अर्थ-त्यागक साहसक संग जा धरि पूर्ण तत्परता आ आनन्दक चिह्न नहि देखा पड़य, ता धरि उत्साहक स्वरूप नहि ठाढ़ होयत। युद्धक अतिरिक्त संसारमे आर एहन विकट काज होइत अछि, जाहिमे घोर शारीरिक कष्ट सहऽ पड़ैत छै आ प्राण-हानि धरिक सम्भावना रहैत छै। अनुसंधानक लेल तुषार-मण्डित दुर्गम पर्वतक चढ़ाइ, ध्रुव देश वा सहाराक रेगिस्तानक यात्रा; क्रूर, बर्बर जातिक बीच अज्ञात घोर जंगलमे प्रवेश, आदि पूरा वीरता आ पराक्रमक कर्म थिक। एहिमे जाहि आनन्दपूर्ण तत्परताक संग लोक प्रवृत्त भेल अछि, ओहो उत्साहे थिक। – (a) उत्साहमे साहसक भूमिकाकें स्पष्ट करू। 12 – (b) धीरताक अभिप्राय की थिक ? 12 – (c) उत्साहक सही दर्शन कोना होइत अछि ? 12 – (d) आनन्दपूर्ण तत्परता आ उत्साहक अन्तर्संबंधकें रेखांकित करू। 12 – (e) दानिकें दानक कारण की सहन करऽ पड़ैत छै ? 12
- निम्नलिखित गद्यांशके अंग्रेजीमे अनुवाद करु : भारतीय नाविक जहाज चलेबाक अपन कौशलक लेल प्राचीने काल सँ प्रसिद्ध रहल अछि । एखन सँ 5000 वर्ष पूर्व ओ लोकनि समुद्रमे नाव चलायब आरंभ कयने छल । ओहि समयमे समुद्री यात्रामे काज आबऽ बला किछु गनल-गुथल यंत्र होइत छल । आजुक समयक परिष्कृत उपकरण सन ताहि दिन उपलब्ध नहि छल । मुदा, प्राचीन नाविकक ज्ञानेन्द्री सम्भवतः बेसी तीक्ष्ण होइत छल । हुनकामे मौसमक पूर्वानुमानक ज्ञान बढ़ियाँ छल । ओ ग्रह-नक्षत्रक परीक्षण कऽ सकैत छलाह, हवाक सूझ-बूझ हुनकामे छलनि आ समुद्रक पानिक रंगसँ गहराइ कहि सकैत छलाह । समुद्री जीव-जंतु केँ देखिकऽ ओ जमीन सँ दूरी आ कतेको बेर तँ देश धरिक पता लगा लैत छलाह । ओहि जमानामे कोनो समुद्री अकादमी नहि छल । तँ जे कोनो प्रशिक्षण हुनका भेटैत छलनि, ओ अनुभवक पाठशालामे परीक्षण आ गलती सँ सिखबा पर आधारित होइत छल । कखनो-कखनो दुर्घटना सेहो भऽ जाइत छल, मुदा हुनक साहस आ आत्मविश्वास हुनका समुद्री यात्राक प्रेरणा दैत रहैत छल । एहीक बल पर ओ पश्चिममे फारसक खाड़ी, अफ्रीकाक पूर्वी तट आ पूर्व तथा सुदूर पूर्व इंडोनेशिया, कम्बोडिया, अन्नाम, बोर्नियो तथा सेलीबीज सन दूर-दराज द्वीप धरि पहुँचऽ मे सफलता प्राप्त कयलनि । समुद्री प्रशिक्षणक आधुनिक काल 1920 क दशकक प्रारंभिक वर्षमे शुरू भेल । आजादीक बाद भारतमे परिवर्तनक सुखद बयार बहि रहल अछि । भारतक गौरवशाली जहाजरानी परंपराक जे सूर्य किछु शताब्दी पूर्व अस्त भऽ गेल छल, से एक बेर फेर उदय भऽ कऽ चमकऽ लागल अछि । भारतीय जहाजरानी आइ सही दिशामे अग्रसर अछि ।
- निम्नलिखित गद्यांशके मैथिलीमे अनुवाद करु : Orientation for entrepreneurship has to start right from the schools. In schools, teachers need to highlight the role of entrepreneurship in national development. During college, students must be exposed to business development opportunities and must be trained towards the creation of new enterprises. Parents should encourage their children to take up new ventures after their education. We should cultivate a mindset that 'Idea is wealth'. The government must create a facilitating environment for the provision of venture capital for innovative ideas without collateral security. Universities and engineering and management institutions should work with banks and other funding agencies towards simplifying procedures for setting up businesses and working with entrepreneurs till the project becomes self-sustaining and viable. Procedures in government should facilitate the spotting and recognition of new Indian talent in entrepreneurship by creating a level playing field for healthy competition. Citizens who can afford it should turn themselves into angel investors or start venture capital organizations to fund such new ventures. Big and small industries need to have an open mind in order to encourage and partner with young entrepreneurs. | **Q6.** | **(a) निम्नलिखित अनेकक शब्दक एक शब्द लिखू :** | **2×5=10** | | — | — | — | | | (i) बुझबाक इच्छा | 2 | | | (ii) सुन्दर मुँह बाली | 2 | | | (iii) जे बहुत बाजय | 2 | | | (iv) आँखिक समक्ष | 2 | | | (v) दूर धरि देखनिहार | 2 | | **(b)** | **निम्नलिखित शब्दक पर्यायवाची शब्द लिखू :** | **2×5=10** | | | (i) कमल | 2 | | | (ii) गणेश | 2 | | | (iii) अमृत | 2 | | | (iv) घोड़ा | 2 | | | (v) आम | 2 | (c) निम्नलिखित शब्दक विपरीतार्थक शब्द लिखू : $2 \times 5 = 10$ | (i) | अमर | 2 | | — | — | — | | (ii) | विशेष | 2 | | (iii) | उदार | 2 | | (iv) | सुलभ | 2 | | (v) | मिलन | 2 | (d) निम्नलिखित शब्द-युग्ममे भेद स्पष्ट करू : $2 \times 5 = 10$ | (i) | अरि – अरि | 2 | | — | — | — | | (ii) | अवधि – अवधी | 2 | | (iii) | कुल – कूल | 2 | | (iv) | कोष – कोश | 2 | | (v) | चिर – चीर | 2 |
Questions reproduced from the official paper for study purposes; verify on the exam-conducting body’s official website.
Related — other papers of this exam
- All papers — UPSC Civil Services (Main) Examination 2026 hub
- Essay (Paper-I) — questions & model answers
- General Studies-I (Paper-II) — questions & model answers
- General Studies-II (Paper-III) — questions & model answers
- General Studies-III (Paper-IV) — questions & model answers
- General Studies-IV (Paper-V) — questions & model answers
- Assamese (Compulsory) — question paper
- Bengali (Compulsory) — question paper
- Bodo (Compulsory) — question paper
- English (Compulsory) — question paper
- Gujarati (Compulsory) — question paper
- Hindi (Compulsory) — question paper
- Kannada (Compulsory) — question paper
- Malayalam (Compulsory) — question paper
- UPSC Civil Services (Main) Examination 2026 — Malayalam (Compulsory): Question Paper | Plutus IAS - September 11, 2026
- पीएम मोदी-रूस राष्ट्रपति पुतिन की द्विपक्षीय वार्ता: प्रमुख समझौते और रणनीतिक सहयोग - September 11, 2026
- PM Modi-Putin Talks: Key Agreements & India-Russia Strategic Ties - September 11, 2026

No Comments